महोत्तरी समाचारदाता
जलेश्वर, चैत १६ गते । गाविस सचिव हकहित संरक्षण केन्द्र महोत्तरीक अध्यक्ष शिवराम पाण्डेयके गोलि प्रहार क घाईल बनोने घटनाके विरोधमे बुध दिन सेहो महोत्तरीक सरकारी कार्यालय सभ बन्द रहल अछि ।
गोली लागि घाइल भेल सचिव पाण्डेयके सम्पूर्ण उपचार खर्च देव परबाक, गाविस सचिव सभके सुरक्षाके ग्यारेन्टी होब परबाक, दोषी उपर कारवाही कर परबाक लगायतक माग सभ रखैत कर्मचारी सम्बद्ध विभिन्न संघ,संगठन, युनियन, मञ्चके आब्हानमे कार्यालय सभ बन्द कायल गेल अछि । कर्मचारी सम्बद्ध नेपाल निजामती कर्मचारी संगठन, यूनियन, कर्मचारी मञ्च, गाउँ विकास कर्मचारी संघ नेपाल, स्थानीय निकाय कर्मचारी संघ लगायतक संगसंगठन सभ मंगल दिन एक संयुक्त बैसार कऽ निर्णय कयने वमोजिम आई कार्यालय सभ बन्द कायल गेल अछि ।
पिगौना २ रहनिहार पाण्डेयके गोईत निकट अखिल जनतान्त्रीक तराई मुक्ति मोर्चाक पोलिट व्युरो सदस्य पृथ्वी कारवाही स्वरुप सोम दिन साँझ गोलि प्रहार कयने छलैक । मोर्चा सचिव पाण्डेय जिम्मेवारी सम्हालने गाविस सभमे अनिमियतता भेल आरोप लगोने अछि । सचिव पाण्डेयके इलाज काठमाण्डौंमे भ रहल अछि ।
स्थानिय पत्रकार तथा साहित्यप्रेमी नागेन्द्रकुमार कर्ण “मैथिल संदेश साप्ताहिक” का सम्पादक एवं प्रकाशक हुनुहुन्छ। समाज, संस्कृतिको संरक्षण र जनचेतनामूलक लेखनमार्फत निरन्तर सक्रिय रहनुहुन्छ। प्रकाशक तथा सम्पादक कर्ण गाेरखापत्र दैनिककाे महाेत्तरी समाचारदाताकाे रुपमा पनि विगत डेढ दशकभन्दा बढी समयदेखि कार्यरत हुनुहुन्छ ।
ليست هناك تعليقات:
إرسال تعليق