महोत्तरी समाचारदाता
जलेश्वर, चैत २४ गते । शिक्षा कार्यालय महोत्तरी शिक्षा नियमावली विपरित एक विद्यालयके शिक्षक भर्नाके लेल अनुमति देने अछि ।
शिक्षा कार्यालय महोत्तरी शिक्षा नियमावली तोकने नियमके कोनो परवाह नै क महोत्तरीक उच्च माध्यमिक विद्यालय बसविट्टी,वसन्तपुरके शिक्षक भर्नाके लेल अनुमति देने अछि ।
उमावि बसविट्टी वसन्तपुरमे जिल्ला शिक्षा समिति स स्वीकृत मावि दरबन्दी ६ आ विशेष शिक्षा परिषद स १ क ७ दरबन्दी रहल अछि । जाहि मे स अखैन सामाजिक विषयके दरबन्दी रिक्त रहल बताओल गेल अछि । विद्यालय जिल्ला शिक्षा कार्यालय स माँग कयने दरबन्दी सम्बन्धि पत्रमे नेपाली विषयमे १, गणितमे १, विज्ञानमे १, अंग्रेजीमे २ (साधारण–१, विशेष शिक्षा–१) एकीकृत, जनसंख्यामे १ शिक्षक रहल उल्लेख अछि त सामाजिकमे १ पद रिक्त रहल अछि । विद्यालय ओही रिक्त दरबन्दीमे अंग्रेजी शिक्षक विषय रखबाक सल्लाह भेलाक कारणे आवश्यक निर्देशन आ आवश्यक व्यवस्था मिला देबाक लेल जिल्ला शिक्षा कार्यालय महोत्तरीमे माग कयने छल ।
एम्हर जिल्ला शिक्षा कार्यालय महोत्तरीक निमित्त जिशिअ सुरेश प्रसाद सिंह शिक्षा नियमावलीके कोनो परवाह नै क अनुमति देने विद्यालय सा्रेत जानकारी देने अछि । स्रोतक अनुसार शिक्षा नियमावली रिक्त पदमे मात्रे पदपूति करबाक उल्लेख कयलावादो जिशिअ सिंह दु दु टा शिक्षक रहल अंग्रेजी विषयमे पदपूर्ति करबाक अनुमती देने अछि ।
शिक्षा नियमावलीके अनुसूचि १२ के विद्यालयमे रहबाक शिक्षक दरबन्दीमे माध्यमिक विद्यालयमे ९ टा शिक्षक अनिवार्य राख परबाक व्यवस्था कयने अछि । ‘अनुसूचि १२ मे उल्लिखित विषयके शिक्षक नै रहल विद्यालयमे दोसर विषयके शिक्षक नियुक्त वा सरुवा नै करबाक चाही ’ शिक्षा नियमावलीके करार शिक्षक नियुक्ति सम्बन्धि व्यवस्थामे प्रष्ट रुप स उल्लेख कायल गेल अछि । मुदा तैयो जिशिअ सिंह प्रलोभनमे परि सहमति प्रदान कयने स्रोत दावी कयने अछि । स्रोत सामाजिक विषयमे पदपूर्ति कर परबाक ठाममे जिशिअ अंग्रेजी विषयमे सहमती देलाक कारणे कतौ नै कतौ मिलिभगत रहल दावी कयने अछि ।