कोल्हुवावगेयामे एक दिनक कार्यक्रम



महोत्तरी , फागुन २८

मानवअधिकार संरक्षण केन्द्र महोत्तरी आई ( शनि दिन ) महोत्तरी कोल्हुवा वगेयामे ‘महिला हिंसा विरुद्ध होबबला हिंसा न्युनीकरण सम्बन्धी’ एकदिने अन्तरक्रिया कार्यक्रम सम्पन्न केलक अछि ।
अन्तरक्रिया कार्यक्रममे मानवअधिकार संरक्षण केन्द्रक कोषाध्यक्ष नवलकिशोर साह महिला एखनो धरि शोषित भ रहल कहैत शिक्षा, सिप आ जनचेतना जगाओल जाय त महिला हिंसा न्युनिकरण भ सकैय बतोने छलैथ ।
कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघ महोत्तरी शाखाक सचिव एवं केन्द्रक संचार अधिकृत नागेन्द्रकुमार कर्ण विश्व अखैन १०१ औं नारी दिवस मनारहल सन्दर्भ मे महिला हिसामे कमि नै आयल बतोवैत सरकारके एहि दिस ध्यान देवाक चाहीमे जोड देने छलाह ।
तहिना महिला मानवअधिकारकर्मी रेखा झा नयाँ संविधान निर्माण भेला स मात्रे महिला हिंसामे न्युनिकरण हायत कहैत संविधान बनेबाक लेल सबगोटेके दवाव सृजना करबाक चाही वतोलैथि ।
कोल्हुवावगेया स्थित उच्च माध्यमिक विद्यालयमे भेल ओहि अन्तरक्रिया कार्यक्रममे उच्च मावि कोल्हुवावगेयाके प्रधानाध्यापक रमेश ठाकुर, ओही गामक नेकपा एमालेक प्रतिनिधि कामेश्वर महतो, एकडाराबेला स्थित सशस्त्र प्रहरी वेश क्याम्पके सशस्त्र प्रहरी निरिक्षक मदनकुमार नाथ, महिला अधिकारकर्मी सविता झा, कामिनी देवी चौधरी, मिन्टु शर्मा, उषा देवी झा, रिना यादव, अधिकारकर्मी रविन्द्र साह, गौरी साह, मो.अख्तर रजा अंसारी, स्थानीय रामसिकिल देवी लगायतक वक्ता सभ महिला हिंसा न्युनिकरण करबाक लेल सब महिलाके एकजुट भ शिक्षा, जनचेतना जगेवाक आवश्यकता पर जोड दैत अधिकारक लेल लड परबाकमे जोड देने छलैथ । कार्यक्रमके समापन केन्द्रक कोषाध्यक्ष नवलकिशोर साह कयने छलैथ ।
कार्यक्रममे तिन दर्जन स वेशी महिला, पुरुष सभके सहभागिता रहल छल ।