महोत्तरी समाचारदाता
जलेश्वर , चैत १६ गते । “शान्ति ,सहमति आ संविधान नेपाल पत्रकार महासंघक अभियान” मूल नाराके संग बुधदिन महोत्तरीमे सेहो नेपाल पत्रकार महासंघके ५६ औंं स्थापना दिवस मनाओल गेल अछि ।
ओही अवसरमे नेपाल पत्रकार महासंघ महोत्तरी शाखा वुध दिन भिन्सर एक प्रभात फेरी कार्यक्रमके आयोजन कयने छल ।
“शान्ति ,सहमति आ संविधान नेपाल पत्रकार महासंघके अभियान” लिखल व्यानर सहित महोत्तरीके जलेश्वर स्थित पत्रकार महासंघके भवन आगा स शुरु भेल प्रभात फेरी नगरके विभिन्न भागके परिक्रमा करैत महेन्द्र चोकमे जा सम्पन्न भेल छल ।
प्रभात फेरीमे महोत्तरी महासंघ स आवद्ध पत्रकार आ रेडियोकर्मी सभहक सहभागिता रहल छल ।
ज्ञात अज्ञात सहिद सभ प्रति १ मिनेट मौनधारण करैत सम्पन्न भेल ओही प्रभात फेरी कार्यक्रममे बजैत पत्रकार महासंघ महोत्तरी शाखाक अध्यक्ष हरि प्रसाद मण्डल शान्ति सहमति आ संविधानके लेल महोत्तरीक पत्रकार सभ सदैव तत्पर रहल आ आगा सेहो रहत प्रतिवद्धता जनोने छलैथ ।