महोत्तरी समाचारदाता
जलेश्वर, चैत १७ गते । मानवअधिकार संरक्षण केन्द्र महोत्तरी आई महोत्तरीक बथनाहामे एक सम्वाद कार्यक्रमके आयोजना कयलक अछि ।
‘मानवअधिकार हननमे अन्धविश्वासक भूमिका आ महिलाक अवस्था’ विषयक ओही सम्बाद कार्यक्रममे वक्ता लोकैनि सभ महिला सभके शिक्षा आ जनचेतना देब परबाकमे जोड देने छलैथ ।
कार्यक्रममे बथनाहके पूर्व गाविस अध्यक्ष देवेन्द्र पाण्डे महिला सभ उपर महिला हिंसा अखनों घरि भ रहल पर जोडदैत दहेजके कारणे हत्या, आत्महत्या बढि रहल कहैत एहिके रोक परबाक पर जोड देने छलैथ ।
तहिना बथनाहा माविके प्रधानाध्यापक अरबीन्द ठाकुर अखनो अपना सभहक समाजमे अन्धविश्वास रहल कहैत एहि स डाइन, जोगिन लगायतक घटना सभ बढि रहल बतोलैथि । ओ बेटाबेटीमे अखनो भेदभाव भ रहल कहैत भ्रुणहत्या बढिरहल बतोलैनि ।
तहिना ओही सम्बाद कार्यक्रममे महिला अधिकारकर्मी रेखा झा युवासभ दारु, ड्रग, सुइया, टेबलेट लगायत सभ ल गाउँघरमे हिंसा बढारहल कहैत एहिके रोकबाक पर जोड देने छलैथ ।
सम्बाद कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघ महोत्तरी शाखाक सचिव तथा मानवअधिकार संरक्षण केन्द्रक मिडिया कोर्टिनेटर नागेन्द्रकुमार कर्ण अन्धविश्वासके कारण डाइन जोगिनके घटना बढिरहल, वालविवाहमे बढोत्तरी भेल पर जोड दैत एहिके लेल शिक्षा आ जनचेतना जगेबाक पर जोड देलैनि ।
ओही सम्बाद कार्यक्रममे केन्द्रक अध्यक्ष मदनकुमार झा मानवअधिकार हननमे सब स वेशी अशिक्षा रहल कहैत शिक्षित होनाई सब स जरुरी रहल बतोलैथि ।
कार्यक्रम स्थानीय वुद्धिजीवी रामचन्द्र लाल कर्ण महिला सभ कोनो तरह स कमजोर नै रहल कहैत एहिके लेल महिला सभके आत्मज्ञान बढेबाक चाही बतोलैनि ।
स्थानीय राजोदेवीके अध्यक्षतामे सम्पन्न ओही सम्बाद कार्यक्रममे महिला अधिकारकर्मी सविता झा, स्थानीय वुद्धिजिवी पिताम्बर झा, राधाकान्त ठाकुर, जोगानन्द झा, रामसिकिल देवी, निलम साह, कुन्दन दुवे, भागीरथ झा लगायतक वक्ता सभ अपन अपन मन्तव्य रखने छलैथि ।