मिथिला : एक परिचय,

sabhar



मिथिला : एक परिचय

मिथिला प्राचीन भारत मे एकटा साम्राज्य छल । ई पूर्वी गंगा मैदान मे अवस्थित अछि, जे आब आधा सँ अधिक बिहार और ओकरा सँ जुड़ल नेपालक भाग अछि । रामायण महाकाव्यक अनुसार मिथिला विदेह साम्राज्यक राजधानी छल । एहि शहरक पहचान नेपालक धनुषा जिला मे आजुक जनकपुर सँ कएल गेल अछि । विदेहक देश कखनो-कखनो मिथिला कहल जाईत अछि, जहन कि ई राजधानी छल । ई ठीक ओहिना अछि जेना कि कोशल साम्राज्यक राजधानी अयोध्या छल, जे कोशलक तुलना मे बेसी प्रसिद्ध भेल ।



डी. डी. कोशाम्बीक अनुसार शतपथ ब्राह्मण कहैत अछि कि माधब विदेघ पर पुजारी गोतम राहुगण शासन केलनि, जे पहिल राजा छलाह, जे सदानीरा (संभवत: गंडक ) नदी कें पार कऽ साम्राज्यक स्थापना कयलनि । एतयक लोक शतपथ ब्राहमणक संकलनक समय मे विदेहक नाम सँ जानल जाईत छलाह । गोतम राहुगण एकटा वैदिक ऋषि छलाह जे ऋग्वेदक पहिल मंडलक कतेको श्लोकक रचना कयलनि । ई श्लोक ओ अछि, जाहि मे स्व- राज्यक प्रंशसा कयल गेल अछि, जे निर्विवाद रूप सँ विदेघ राज्य छल जे ध्वनि परिवर्तनक कारण बाद मे विदेह भऽ गेल । अत: माधव विदेघ निश्‍चित रूप सँ बहुत पहिने भऽ चुकल छलाह । ऋग्वेदक दशम मंडल मे काशिराज प्रातर्दन द्वारा रचित श्‍लोकक उल्लेख अछि । अत: मिथिला आ काशी ओहि भूभाग मे अवस्थित छल, जाहि मे ऋग्वेद कालक व्यक्ति रहैत छलाह । गोतम राहुगणक परवर्ती ऋषि लोकनि गौतम कहल गेलाह । एहने एकटा सन्यासी रामायण काल मे अहिल्या स्थानक नजदीक रहैत छलाह ।



मिथिलाक गाथा कतओक शताब्दी धरि पसरल अछि । ई कहल गेल अछि जे गौतम बुद्ध आ वर्धमान महावीर दुनू गोटे मिथिला मे रहल छलाह । ई प्रथम सहस्त्राब्दिक दौरान भारतीय इतिहासक केंद्र छल आ विभिन्न साहित्यिक आ धर्मग्रंथ संबंधी काज मे अपन योगदान देलक ।



मैथिली मिथिला मे बाजय जायवला भाषा थिक । भाषाविद मैथिली कें पूर्वी भारतीय भाषा मानलनि अछि आ एहि तरहें ई हिन्दी सँ भिन्न अछि । मैथिली कें पहिने हिन्दी आ बंगला दुनूक उप-भाषा मानल जाइत छल । वस्तुत: मैथिली आब भारतीय भाषा बनि चुकल अछि ।



मिथिलाक सभ सँ महत्वपूर्ण संदर्भ हिन्दू ग्रंथ रामायण मे अछि, जतए एहि भूमिक राजकुमारी सीता कें रामक पत्नी कहल गेल अछि । राजा जनक सीताक पिता छलाह, जे मिथिला पर जनकपुर सँ शासन केलनि । प्राचीन समय मे मिथिलाक अन्य प्रसिद्ध राजा भानुमठ, सतघुमन्य, सुचि, उर्जनामा, सतध्वज, कृत, अनजान, अरिस्नामी, श्रुतयू, सुपाश्यु, सुटयशु, श्रृनजय, शौरमाबि, एनेना, भीमरथ, सत्यरथ, उपांगु, उपगुप्त, स्वागत, स्नानंद, शुसुरथ, जय-विजय, क्रितु, सनी, विथ हस्या, द्ववाति, बहुलाश्‍व आदि भेलाह ।



’मिथिला, एहि क्षेत्र मे सृजित हिन्दू कलाक एक प्रकारक नाम सेहो थिक । ई विशेष कऽ वियाह सँ पूर्व महिला द्वारा घर के सजेबाक लेल घरक देबार आ सतह पर धार्मिक, ज्यामितीय आ चिहनांकित आकृति सँ शुरु भेल आ एहि क्षेत्र सँ बाहर एकरा नहि जानल जाइत छल । जहन एहि कलाक लेल कागजक शुरुआत भेल तँ महिला लोकनि अपन कलाकृति कें बेचय लगलीह आ कलाक विषय वस्तु कें लोकप्रिय आ स्थानीय देवताक संगहि प्रतिदिनक घटनाक चित्रांकन धरि विस्तृत केलीह । गंगा देवी संभवत: सब सँ प्रसिद्ध मिथिलाक कलाकार छथि । ओ परंपरागत धार्मिक मिथिला चित्रांकन, लोकप्रिय देवताक चित्रांकन, रामायण आ अपन जिनगीक घटना सँ दृश्यक चित्रांकन कयलनि ।



मिथिला




वशिष्ठ द्वारा शापित मृत्यु के प्राप्त करय वला राजा निमि केँ शरीर के गंगासागर पर मथल गेल, ओहि सँ निकलल बालक के नाम मिथि पड़ल, आ हुनक राज्यक नाम मिथिला पड़ल । शतपथ ब्राह्मण केँ अनुसार राजा विदेथ माधव द्वारा गंडक किनार एक यज्ञ स्थल बनाओल गेल, जकर नाम मिथिला पड़ल आ पाछू राज्यक नाम मिथिला भेल ।

मिथिलाभी भवः मैथिल ः “मिथिला मे जन्म लेनिहार मैथिल भेलाह, वा मैथिली भाषा बाजनिहार मैथिल छथि ।
गंगा बहथि जनिक दक्षिण दिशि, पूर्व कौशिकी धारा,
पश्‍चिम बहथि गंडकी उत्तर हिमवत्‌ बल विस्तारा ।

मिथिलामे २५ जिला, ५० अनुमंडल १९९९ तक लगभग छल जाहि मे वृद्धि भेल हैत, ७२,३०० किमी० क्षेत्रफल, ४४ नदी, ६ हजार पोखड़ि, अनगिनत इनार । पाल० एस० व्रास लैगुएस, रिलीजन एण्ड पोलिटिकस इन नार्थ इंडिया, पृ० ६४ मे १९६१ मे जनसंख्या १६५६५,४७७ लिखने छथि, ग्रियर्सन १८९१ मे मैथिली भाषा-भाषी केँ जनसंख्या ९,३८९,३७६ निर्धारित कयलनि, तत्कालीन मुख्यमंत्री कर्पूरी ठाकुर पत्रांक ३ आर १-१०-१९६६, दिनांक २२-१२-७७ केँ तत्कालीन केन्द्रीय सरकार के विधिमंत्री शान्तिभूषण केँ लिखलनि जे अपना देश मे २ करोड़ सँ अधिक आ नेपाल मे ३० लाख सँ अधिक मैथिली भाषा-भाषी छथि । तैं जनसंख्या निर्धारित करब कठिन, कारण जतय सँ प्रवजन भारी मात्रा मे भेल ।

मैथिली केँ क्षति जते अपन लोक कएलक ओते दोसर नहिं । १९१४ मे भागलपुर हिन्दी साहित्य सम्मेलन मे गिरीन्द्र मोहन मिश्र प्रस्ताव देलनि जे बिहार प्रान्तक मातृभाषा हिन्दी थीक, तैं प्राथमिक शिक्षाक माध्यम हिन्दी हो, जिनका मैथिली पुस्तक पर साहित्य अकादमी पुरस्कार सेहो भेटलनि । राष्ट्रीय आन्दोलनक समय मे अखिल भारतीय स्तर पर भावात्मक एकता बढ़यबाक दृष्टि सँ मैथिली भाषी सब मिथिलाक्षर वा तिरहुताक्षर कें स्थान मे देवनागरी स्वीकार कयलनि । बिहार मे विनोदानंद झा, भोला पासवान शास्त्री, कर्पूरी ठाकुर, विन्देश्‍वरी प्रसाद मंडल, सतीश प्रसाद सिंह, डा० जगन्नाथ मिश्र मैथिली भाषा-भाषी मुख्यमंत्री भेलाह, किन्तु ओ सभ संविधानक आठम सूची मे मैथिली केँ स्थान नहिं दिया सकलाह । फलतः बिहार मे एतेक संख्या रहबाक बावजूद मातृभाषा नहि मानल गेल । तत्कालीन मुख्यमंत्री लालू प्रसाद यादव सेहो लिखलनि कि १९९०-९१ केँ जनगणना के अनुसार बिहार मे भोजपुरी, आदिवासी, मगही भाषा- साहित्य कें छोड़ि कऽ आयोगक परीक्षा मे मैथिली ऐच्छिक भाषाक रूप मे राखब उचित नहिं आ बिहार लोक सेवा आयोग सँ मैथिली जे ऐच्छिक विषय के रूप मे छल, से हटा देल गेल । (बिहार सरकार के कार्मिक एवं प्रशासनिक सुधार विभागक ज्ञापांक १३४२, दिनांक २९ फरवरी, १९९२) ।

जखन एस० के० चटर्जी ओरिजिन एण्ड डेवलपमेन्ट ऑफ बंगाली लैंग्वेज नामक पोथी मे लिखलनि “मैथिली भारत की स्वतंत्र एवं समुन्‍नत भाषा है ।" ज्योतिरीश्‍वरक १२८०-१३४० ई० मे वर्णरत्‍नाकर एवं मैथिली धूर्त समागम उत्तर भारतक सब आधुनिक आर्यभाषाक सर्वप्रथम ग्रन्थ एवं नाट्‍य कृति मानल जाइछ । महाकवि विद्यापतिक (१३५०-१४४०) रचना कालजयी साहित्यिक रचना मानल जाइछ । महर्षि अरविन्द मैथिली गीतक अनुवाद कयलनि, युनेस्को हिनक गीतक अनुवाद प्रकाशित कयलक । विश्‍वप्रसिद्ध कुमार स्वामी हिनक गीतक भावचित्र बनाय गीत एवं चित्रक प्रकाशन कयलनि, गौरांगस्वामीक रचना हिनका सँ प्रभावित छल, नहिं जानि कतेक भाषा मे हिनक गीतक अनुवाद भेल । दिल्ली मे मैथिली पुस्तक एवं पांडुलिपि देखि तत्कालीन प्रधान मंत्री पं० जवाहर लाल नेहरू विजिटर्स बुक मे लिखलनि “MaithilI has been for a long time and is today a living language among the people of the area. The language deserves encouragement ". अंतर्राष्ट्रीय साहित्यकार एवं बुद्धिजीविक संस्था P.E.N. (Play Wrights, Essayists, Editors, Nanvelists) में मैथिली साहित्यकार स्थान पवैत छथि । यू०जी०सी० द्वारा कनीय एवं वरिष्ठ अनुसंधान छात्रवृत्ति मैथिली मे देल जाइछ, व्याख्याता पदक अर्हताक लेल प्रतियोगिता परीक्षा मे एकर स्थान अछि, नेपालक द्वितीय भाषा मैथिली अछि, तथापि संविधानक अष्टम सूची मे ई स्थान एकरा बहुत समय बाद भेटलैक, ई दुःखक गप ।

हम सब मैथिल जतय कतहुँ होइ, आ समस्त मैथिलक संस्था केन्द्रीयभूत भय प्रयास करत, तखनहिं सफलता भेटि सकैछ । ताहि मे पंजी-व्यवस्था एवं सभा सहायक सिद्ध हैत, जतय विचार विमर्श कय समस्याक निराकरण कयल जा सकैछ ।

मिथिलाक विभूति न्यायसूत्र प्रणेता गौतम, वैशेषिक दर्शनक जनक कणाद्‌, मीमांसा प्रणेता जैमिनी, सांख्य दर्शनक संस्थापक कपिल, विदेह जनक, याज्ञवल्क्य, गंगेश उपाध्याय, वाचस्पति, विद्यापति, कालिदास, लक्ष्मीनाथ गोसाइं, शिवसिंह, नान्यदेव, उदयनाचार्य, गोविन्ददास, बहुरागोढ़िन, अयाची, चंदा झा, लालदास, बच्चा झा आदि प्रभृतिक आत्मा कचोटि रहल छनि जे ऐतिहासिक एवं पौराणिक स्थल-जनकपुर धाम, वलिराजगढ़, परसाधाम, सखड़ा (नेपाल), सौराठ, कपिलेश्‍वर-स्थान, उच्चैठ, विस्फी, विदेश्‍वर-स्थान, उगना-स्थान, डोकहर, बाल्मीकि आश्रम, कलनेश्‍वर-स्थान, गिरिजा-स्थान, दक्षिणेश्‍वर हनुमान, पुनौरा, हलेश्‍वर-स्थान, गोरहौल शरीफ, महिष्मती (महिषी), सिंहेश्‍वर-स्थान, अहिल्या-स्थान, बोधायन, विद्यापति नगर, मंगलागढ़, नौलागढ़, सिमरिया घाट एवं अन्य अनेक प्राचीन गौरवमय स्थानक दर्शन कय मैथिल गौरवान्वित भय एकरा आगू बढ़यबाक प्रयास करथि, जाहि सँ मिथिला, मैथिल, मैथिलीक विकास होय ।

भौगोलिक सीमा आ जलवायु

मिथिला क्षेत्र गंगाक उत्तरी मैदान मे अछि । एहि क्षेत्रक मुख्य स्थान दरभंगा, मधुबनी, झंझारपुर, समस्तीपुर, मधेपुरा, बेगूसराय, सहरसा, सीतामढ़ी, जनकपुर आदि अछि । जनकपुर आब नेपालक क्षेत्र मे अछि । एहि क्षेत्रक जलवायु मुख्यत: शुष्क आ ठंढ़ा अछि । गर्मी मे तापमान ३५ सँ ४५ डिग्री सेल्सियस आ जाड़ मे ५ सँ १५ डिग्री सेल्सियस रहैत अछि । एतय घुमबाक लेल फ़रवरी - मार्च आ अक्तूबर- नवंबर सब सँ नीक अछि ।

एहिठामक माँटि खेतीक लेल उपयुक्त अछि, जे क्षेत्रक मुख्य आर्थिक आधार अछि । कृषिक लेल पर्याप्त वर्षा होइत अछि ।

एहि क्षेत्र मे प्रतिवर्ष बाढ़ि अबैत अछि, जाहि सँ एहिठामक लोकक जिनगी मे कठिन समस्या अबैत अछि आ करोड़ों रुपयाक नोकसान होइत अछि । एहिठामक लोकक लेल किछु व्यक्ति द्वारा विभिन्न नदी पर बाँधक जरुरतिक अनुभव कएल गेल अछि । किछु अन्य कें एहि बातक भय सेहो छनि जे भूकंप- प्रवण क्षेत्र मे वृहत बाँध वार्षिक बाढ़ि सँ बेसी खतरनाक होयत ।

अर्थव्यवस्था

खेती एहि क्षेत्रक मुख्य आर्थिक कार्यकलाप थिक । मुख्य फ़सल धान, गहूम, दालि, मकई, मुँग, उडद, राहड़ि आदि आ जूट (एकर उत्पादन मे कमी आयल अछि) अछि । आई- काल्हि देशक आन भागक तुलना मे खेती नीक नहि रहबाक कारणें, ई सब सँ अधिक पिछड़ल क्षेत्र भऽ गेल अछि । बाढि हर वर्ष फ़सलक पैघ भाग कें नाश कऽ दैत अछि । उद्योगक अनुपस्थिति, कमजोर शैक्षिक अवसंरचना आ राजनीतिक अपराधीकरणक कारणें अधिकांश युवक कें शिक्षा आ आमदनीक लेल स्थान परिवर्तन करय पड़ैत छनि । एहि परिवर्तनक उज्जवल पक्ष इ आछे जे ओ लोकनि भारतक प्रमुख क्षेत्र और स्थान मे महत्वपूर्ण भऽ गेलाह अछि ।

मिथिला पेंटिग आब बाजार मे हिस्सेदारी प्राप्त कयलक अछि । आब सरकार सेहो राष्ट्रीय धरोहरक रूप मे एकरा सहायता दऽ रहल अछि ।














और इ अछि अपनेक कला एवं कृति भाग | अई में अहाँ के विभिन्न प्रकार के कला एवं कृति के सम्बन्ध में जानकारी भेंट'त | जेना कि क'त केहन और के जलावनरण करैल खिन या |मधुबनी चित्रकला या मिथिला चित्रकला के उत्पति पुरानकाल में भैल छेलै | मिथिला चित्रकला के परम्परा रामायण के जमाना स छै, जखैन महाराजा "जनक जी" के पुत्री "सीता जी" के ब्याह भरह'ल छेलै भगवान "राम जी" स सब चित्रकार के महाराजा "जनक" सबके धन देने छैलखिन चित्रकारी करले'ल |


मधुबनी चित्रकारी, महिलाऐं जे सब मधुबनी शहर के आस-पास के गाम् में रहे छथिन्, हुनका सबके द्धारा बनाय'ल जाऐ छै, साथ मे औरों सब मिथिला के हिस्सा मे बनाव'ल जाए छै | मिथिला चित्रकला पारम्परिक तौर पर ताजा पलस्तर करल्, झोपड़ी के किचड़ के दिवार पर, कपड़ा पर, हाथ स बनल कागज पर और किरमिच पर बनाव'ल जाई'या |




मधुबनी चित्रकारी मे दुईटा परिमाण के इस्तेमाल होइ छै, और चित्रकारी ले'ल जे रंग के उपयोग होइ छै, पेड़-पौधा स बनाय'ल जाए छै | गेरू और काजल के इस्तेमाल कत्थी और काला रंग ले'ल होए छै |




मधुबनी चित्रकला प्रकृति और हिन्दु धर्म के मुल-भाव के चित्रित करे छै और चित्र के विषय-वस्तु हिन्दु धर्म के चारू तरफ घुमेत् रहे छै - उदाहरण के तौर पर - कृष्णा, राम, शिव जी, दुर्गा माँ, लक्ष्मी जी, और स्वरस्वती माँ, प्राकृतिक वस्तु जेना सुर्य,चन्द्रमा, पुज्यनीय पौधा "तुलसी" विशाल तौर पर बनाव'ल जाए छै | आमतौर पर कोनो स्थान खाली नय रहे छै, खाली स्थान के फुल, जानवर, पंछी के चित्र से भैर दे'ल जाए छै |




पारंपरिक तौर पर, ई चित्रकला एहन हुनर छै जे पिढ़ी दर पिढ़ी परिवार के सदस्य के देल जाए छै, खास कर महिला सदस्य के, महिला सदस्य के व्दारा |आमतौर पर मधुबनी चित्र दिवार पर बनाव'ल जाए छै त्योहार मे, धार्मिक कार्य मे और बहुत महत्वपुर्ण घटना मे, जेना बच्चा के जन्म, उपान्यनम और शादी में |




अखैन के प्रसिध्द मधुबनी चित्रकला के किछ चित्रकार के नाम मे शामिल छथिन् - सरिता देवी(बौआ देवि के पुत्री), पुष्पा कुमारी, करपुरी देवी, महासुन्दरी देवी, गौदावरी दत्ता, जमुना देवी और ललिता देवी |




सीता देवी जीत्वारपुर गाँव के, बौआ देवी और गंगा देवी हिनका सबके महारथ हासिल छेलै मिथिला पेंटिंग के गाँव के दिवार स कागज और किरमिच पर उतारे के | कला एवं कृति पर लेख



ई भाग में अहां के विभिन्न और अलग-अलग स्थान के सांस्कृतिक गतिविधि के सम्बन्ध में जानकारी मिलत और केना भाग ली | इ सामुदायिक र्पोटल अग्रह करे छै सब स के अपन सांस्कृतिक गतिविधि के जानकारी बांटू |

अहां ऐतिहासिक स्थान के जानकारी हमर इतिहास खण्ड स पा सके छि |




इन्टरनेट सँ लत भेल मैथिल यूवक केँ मैथिली साहित्यँ सँ परिचय करेबाक एकटा प्रयास. विचार अछि जे एहि मैथिल यूवक मे किओ एकटा पैघ लेखक, किओ एकटा पैघ कवि, किओ व्यँगकार आ किओ एकटा पैघ वेश्लेषक छथि. मौका भेटला पर सब लोकनि अपन प्रतिभाक परिचय द’ सकैत छथि.ई वेबसाईट आधूनिक मैथिल यूवक केँ अपन मैथिली साहित्य’क दक्षता केँ साबित करबा मे सहयोग करत आ हुनका अपन रचना प्रकाशित करबा मे मदद करत.



एहेन व्यक्ति केँ ई वेबसाईट मुफ्त मे औडियेन्स प्रदान सेहो करत. यदि अपने लोकनि सोचैत छी जे अहाँ मे कोनो लेखक वा कवि छुपल अछि, तेँ अपन भावना केँ कुँठित जूनि करू. हमरा लोकनि सँ सम्पर्क करू आ अपन लेख/कविता/कहानी इत्यादि केँ एहि पर प्रकाशित करू. एहि लेल अपने लोकनि हमरा लिखू : shashank.kumar@mumbairocks.in.