Monday, September 22, 2025

देखियौ राजदेवी मन्दिर जाईबाला रास्ता


आसिन ६गते २०८२

नागेन्द्रकुमार कर्ण



आई आसिन ६ गते । सोम दिन । आजुक दिन स दशमी शुभारम्भ भेल अछि । आजुक दिन घर घरमे आ जहाँ जहाँ माता दुर्गाके प्रतिमा बनल अछि ओहीठाम घटस्थापना कायल जाइत अछि । 

जलेश्वरमे से हो दशमीके चहलपहल शुरु भगेल अछि । दर्शनार्थीसभ बाबा जलेश्वरनाथसँगै बजारमे रहल संसारीमाई आ राजदेवीके दर्शन सेहो करैत अछि । दशदिनधरि इ मन्दिरसभमे भिड रहल अछि । बाबा जलेश्वरनाथके दर्शनपश्चात दर्शनार्थीसभ बजारमे बनल दुर्गा प्रतिमाके दर्शनसंगै बजारके पुर्वी मुहारपर रहल संसारीमाईके दर्शन से हो करैत अछि । ओही के वाद दर्शनार्थीसभ राजदेवी मन्दिर पहुँच दर्शन करैत अछि । मुदा संसारीमाई स ल क राजदेवी मन्दिर तक जेवाक रस्ता एखनधरि सुधरल नहि अछि । देखियौ आहाँ सब रास्ता केहन छई । पानी आ थालकादोके कारण स पैदल जयवाकमे समस्या होइत छई । अपने सभ देखिरहल छियै । राजदेवी मन्दिरधरि पहुँचलेल सब रास्ता खराब छई । नगरपालिकाले दशमी शुरु सँ पुर्व सोचवाक चाही आ बाटके मरम्मत करबाक चाही । ओना हमरा जलेश्वर नगरपालिकाका नगरप्रमुख सुरेश साह सोनार स बातभेल छल ओ कहला जे आई सुधार भ जयतै । आब देखियौ कि होइछै । 







No comments:

Post a Comment