दु गोटे पक्राउ

महोत्तरी समाचारदाता
जलेश्वर चैत १३ गते । एसएलसीके रबि दिन भेल परिक्षामे महोत्तरी स प्रहरी दु गोटेके पक्राउ कयने अछि ।
जलेश्वर स्थित लक्ष्मी चण्डी मुरारका माध्यमिक विद्यालय नजदिक फोटोकाँपी क रहल अवस्थामे दु गोटेके पक्राउ कयने अछि । पक्राउ परबालामे जलेश्वर नगरपालिका—९ रहनिहार रामवीर यादव आ रधुनाथपुर घर भ हाल जलेश्वरमे रहैत आयल शत्रुधन साह रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक प्रहरी उपरिक्षक संजयराज शर्मा जानकारी देलैनि अछि । दुनुके आवश्यक अनुसंधानके लेल अखैन जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीमे राखलगेल अछि ।