महोत्तरी समाचारदाता
जलेश्वर, चैत १४ गते । युनेस्को आई महोत्तरीक शुक्देव माध्यमिक विद्यालय सुगामे अध्ययनरत विद्यार्थी सभके एक समारोहके बिच जुत्ता वितरण कयने अछि ।
नेपालमे पहिल बेर महोत्तरीक शुक्देव माध्यमिक विद्यालय सुगामे अध्ययनरत विद्यार्थी सभके ओ जुता वितरण कायल गेल युनेस्कोके सहसचिव शुशील पाण्डेय जानकारी देलैनि ।
सहसचिव पाण्डेयके प्रमुख आतिथ्यमे आयोजित वितरण कार्यक्रममे ओ नेपालमे युनेस्को ७ हजार २ सय जुत्ता वितरण करबाक जानकारी दैत गरिब, पिछडल , दलित, जनजाति विद्यार्थी सभके एहिमे प्राथमिकतामे राखल गेल बतोलैनि । ओ एहि स विद्यालय प्रति विद्यार्थी सभ आकर्षित हायत से उद्देश्यके सँग जुत्ता वितरण कायल गेल बतोलैथि । विद्यार्थी सभके वितरण कायल गेल जुत्ता कोरियामे निर्माण कायल गेल छैक ।
शुक्देव माध्यमिक विद्यालय सुगामे कक्षा १ स १० धरि अध्ययनरत ८ सय विद्यार्थीके जुत्ता वितरण कायल गेल सहसचिव पाण्डेय वतोलैनि ।
मावि सुगाके व्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष विन्देश्वर महतोके अध्यक्षतामे आयोजित जुत्ता वितरण कार्यक्रममे विद्यालयके प्रधानाध्यापक कृष्णचन्द्र चौधरी, गाउँके भद्रभलादमी, विभिन्न राजनीतिकदलके प्रतिनिधी, अभिभावक आ शिक्षकशिक्षिका सभके उपस्थिती रहल छल ।