कार्यालय सभ आजुक दिन बन्द

महोत्तरी समाचारदाता
जलेश्वर, चैत १५ गते । गाउँ विकास समिति महोत्तरीक एक सचिव उपर भेल गोली प्रहारक विरोधमे आज (मंगलदिन) महोत्तरीक सम्पुर्ण सरकारी कार्यालय सभ बन्द करौने अछि । बन्दक कारण दुर दुर स आयल सेवाग्राही सभ खाली हात घर घुरवाक लेल वाध्य बनल छल ।
अखिल तराई जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा गोइत समुह गाविस सचिव हकहित संरक्षण केन्द्र महोत्तरीक अध्यक्ष आ दु गाविसके सचिव शिवराम पाण्डेयके सोम दिन साँझ गोली दागी घाइते बनोने छल । ओही घटनाक विरोधमे कर्मचारी सम्बद्ध विभिन्न संगठन, संघ, युनियन, मञ्चके आब्हानमे कार्यालय सभ बन्द कराओल गेल अछि । कार्यालय सभ खुल्लावादो कर्मचारी सभ कामकाज नै कयने छल । ओही के कारण विना सुचना आयल सेवाग्राही सभ घुरबाक लेल वाध्य बनल छल ।
सोम दिन साँझ सदरमुकाम जलेश्वर स काम सका साइकल स अपन घर पिगौना जा रहल समयमे रस्तामे बाट ताकिरहल दु गोटेक समुह हुनका उपर गोली प्रहार कयने स्थानीयबासी सभ जानकारी देने अछि । हुनक पेटक बामा भागमे गोली लागि बाहर निकैल गेल बताओल गेल अछि । हुनक इलाज अंचल अस्पताल जनकपुरमे भ रहल अछि । अवस्था खतरामुक्त रहल छैक ।
वलवा, पिपरा गाविसके सचिव पदके जिम्मेबारी से हो सम्हालेने पिगौना २ निवासी पाण्डेयके गोईत निकट अखिल जनतान्त्रीक तराई मुक्ति मोर्चाक पोलिट व्युरो सदस्य पृथ्वीे कारवाही स्वरुप गोलि प्रहार कयने सञ्चारकर्मी सभके टेलिफोन मादे सोमदिन साँझ जानकारी दैत जिम्मा लेने छल । मोर्चा सचिव पाण्डेय जिम्मेवारी बहन कयने गाविसमे अनियमितता कयने आरोप लगोने अछि ।