महोत्तरी समाचारदाता
जलेश्वर चैत १३ गते । महोत्तरीक प्रमुख व्यापारिकस्थल पिपरामे रबिदिन बेरियामे लागल आगलगि स लाखौं मोल बराबरके धनमाल जरिक नष्ट भ गेल अछि ।
आगलगी स जिल्लाक पिपरा वडानं. ३ रहनिहार वृक्षा महरा, प्रदीप महरा, विर बहादुर महरा आ नन्दन महराके चारि टा जरिक राख भेल अछि । हुनकर सवहक फुसक घर जरिक नष्ट भेलावाद उठीबास सेहो भेल अछि ।
आई दुपहर करिब १२ बजे दिस ओहि वाड रहनिहार मंगल महराके प्वारक टालमे आगलागि भेलावाद ओ दलित बस्तीमे लागल छल । स्थानीयबासी, जनपद आ सशस्त्र पुलिसक संयुक्त टोली आ जलेश्वर नगरपालिकाके बारुणयन्त्र तत्काल आगि नियन्त्रण लेलावाद थप क्षति सँ बस्ती बचल छल ।
आगलागीसँ चारु गोटेके घरमे रहल खाद्यान्न, कपडालत्ता, भाडावर्तन सब जरिक राख भेल अछि । आगलागीसँ करिब ५ लाख सँ बेसी क्षति भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक प्रहरी उपरिक्षक संजयराज शर्मा जानकारी देलनि । आगलागी एक घण्टा पछि नियन्त्रणमे आयल छल ।
स्थानिय पत्रकार तथा साहित्यप्रेमी नागेन्द्रकुमार कर्ण “मैथिल संदेश साप्ताहिक” का सम्पादक एवं प्रकाशक हुनुहुन्छ। समाज, संस्कृतिको संरक्षण र जनचेतनामूलक लेखनमार्फत निरन्तर सक्रिय रहनुहुन्छ। प्रकाशक तथा सम्पादक कर्ण गाेरखापत्र दैनिककाे महाेत्तरी समाचारदाताकाे रुपमा पनि विगत डेढ दशकभन्दा बढी समयदेखि कार्यरत हुनुहुन्छ ।
gadaha san ke news likhai ta rahai chi
ردحذف