एकके हत्या

महोत्तरी समाचारदाता
जलेश्वर चैत १४ गते । महोत्तरीक सिंग्याहीमे एक व्यापारीके हत्या भेल अछि ।
महोत्तरीक सिंग्याही–४ रहनिहार करिब ५० वर्षक धर्मनाथ साहके हत्या कायल गेल अछि । हुनक शव सोम दिन भिन्सर सिंग्याही बाजार स २५० किमी पश्चिमके एक खेतमे फेला परल छल । हुनक गर्दनमे रस्सी लागल छल । ओही कारण हुनक हत्या क खेतमे फेकल गेल अनुमान प्रहरीके रहल अछि ।
स्थानीयबाजारमे दारुके दुकान करतै आयल साहके राति मारिक फेक देने होयबाक आशंका स्थानीयके रहल छैक । शब सोम दिन भिन्सर ८ बजे भेटल छलैक ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक प्रहरी उपरिक्षक संजयराज शर्मा हत्या कायल गेल आशँका करैत छानविन भ रहल जनतव देलैनि । ओ शवके पोस्टमार्टमके लेल जनकपुर अंचल अस्पताल पठाओल गेल बतोलैनि ।