सामुदायिक मेलमिलाप परियोजना सभ नीक काज करहल

नागेन्द्रकुमार कर्ण रधुनाथपुर, कात्तिक २९ गते । महोत्तरी जिल्लाक रघुनाथपुर वार्डनंं. २ रहनिहार रामवीर राय घरायसी प्रयोजनक लेल कपाली तमसुक बना ५ हजार रुपैया ऋण लऽ चुकता कचुकलाक वादो तमसुक फिर्ता पाब नै सकल छल । ओ ऋण देनिहार खैरबन्नी वार्डनं. ८ के रामकैलाश रायके बेर बेर ऋण चुकता क चुकलाक कारण तमसुक फिर्ता देवाक माँग करतै आयल छल मुदा राय आश्वासन सिवाय तमसुक फिर्ता नै कयलक । एहि पर रामवीर रघुनाथपुरस्थित सामुदायिक मेलमिलाप परियोजनामे लेनदेन सम्बन्धी मुद्दा आसिन २ गते दर्ता करोलैनि । मुद्दा दर्ता पश्चात आसिन ७ गते मेलमिलाप समिति आ दुनुपक्षकबीच भेल छलफल पश्चात रामवीरके तमसुक फिर्ता कायलगेल । महोत्तरी जिल्लाक रघुनाथपुर गाउँ विकास समितिमे चलिरहल सामुदायिक मेलमिलाप परियोजना गाउँ घरमे भरहल एहने झै झगडा, लेनदेन, घरायसी झगडाके गामेघरमे दुनुपक्षके चित्तवुझा मेलमिलाप क सराहनीय काम करिरहल देखल गेल अछि । छोटछिन मुद्दा सभ गाउँ घरमे मिला भाइचाराक सम्बन्ध कायम करबामे ओहीठामक परियोजना लागल आ निक काज करहल शनिदिन ओहिठाम आयोजित कार्यक्रममे वक्तासभ बतोने अछि । मानवअधिकार तथा सामाजिक विकास प्रतिष्ठान, नेपालके सहयोगमे जिल्लाके २५ गाउँ विकास समितिमे एहन परियोजना संचालनमे रहल अछि । एहिमे स रघुनाथपुरमे रहल सामुदायिक मेलमिलाप परियोजनामे मुद्दाके प्रगति संख्या निक रहल कार्यक्रम प्रमुख देवेन्द्रप्रसाद निराला जानकारी देलैनि । ओ गाउँमे होबबाला छोटछिन मुद्दा सभ प्रहरी चौकी आ अदालतमे गेलाक कारण सामाजिकता हरारहल कहैत एहिक्षेत्रमे मेलमिलाप परियोजना काज करहल जानकारी देलैनि । रघुनाथपुर मेलमिलाप परियोजनाक संयोजक रामश्रेष्ठ यादव रघुनाथपुरमे आर्थिक वर्ष ०७०÷०७१ मे १८ टा मुद्दा आ आर्थिक वर्ष ०७१÷०७२ के एखन तक १४ टा मुद्दा परल जानकारी दैत आर्थिक वर्ष ०७१÷०७२ मे ९ टा सफल, २ टा प्रकृयामे आ २ टा असफल भेल जानकारी देलैनि । तहिना आर्थिक वर्ष ०७०÷०७१मे १४ टा सफल आ ४ टा असफल भेल बतोलैनि । गाउँघरके मुद्दाके विषयमे निराकरणक लेल गाउँ विकास समितिक सचिव सम्मिलित १५ सदस्यीय मेलमिलाप मूल समिति, २५ सदस्यीय महिला मानवअधिकार समूह, ४५ सदस्यीय कार्यसमिति सहित विभिन्न समिति सभ से हो बनाओल गेल अछि । समिति संयोजक रामश्रेष्ठ अदालतमे गेला स वेशी समय, पैसाके वर्वादीके कारण स गामघरके मुद्दा सभ गामेमे दुनुपक्षके राखि मिलाओल गेल बतोलैनि । ओ हमरा सभहक निर्णयके दुुनुपक्ष मानिरहल कहैत गामवासीप्रति आभार व्यक्त कयने छलाह । ओही कार्यक्रममे महिला विकास कार्यालयक प्रमुख चन्द्रकुमार व्यञ्जनकार, जिल्ला विकास समिति महोत्तरीक योजना अधिकृत उपेन्द्र राय, नेपाल पत्रकार महासंघ महोत्तरी शाखाक नागेन्द्रकुमार कर्ण, बार एशोसिएशन महोत्तरीक सचिव नवलकिशोर साह, जलेश्वरटुडेके प्रकाशक पवन साह, भूमिसुधार कार्यालयके मोहन कोइराला, पत्रकार नविन मिश्र लगायतक वक्ता सभ मेलमिलाप परियोजना कयने काजके प्रशंसा करैत एहनकाजके निरन्तरता देवाक बतोने छलाह ।